रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'

रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'

ग्राम+पत्रालय-त्योंथा, भाया-खिरहर, थाना-बेनीपट्टी, जिला-मधुबनी, सम्प्रति कोलकाता मे स्नातक स्तर मे अध्यनरत, साहित्यिक गतिविधि मे सेहो सक्रिय, दर्जन भरि रचना पत्र-fत्रकादि मे प्रकाशित।


बूथ कैप्चरिग

कोन पाप लागल से ने जानि

घुरि अयलहुँ मोनक बात मानि

नोकरी सँ ने भेटैत अवकाश

ने करितहुँ हम गाम वास

अयलहुँ तऽ लागय सभटा नीक

अछि ने मुदा किछुओ ठीक

आब गामक हवा अछि बिगड़ल

अछि स्वार्त जल सँ सभ भीजल

तथापि रहैत छलहुँ हर्षित

भेल समाजक हेतु समर्पित

मुदा आयल बइमनमा चुनाव

बढ़ल लोक सभक आब भाव

ग्रामीण सभ मिलि कयलक बैसार

भेल जे छल ने आसार

सभ क्यो कयलक आग्रह प्रगाढ़

जे होऊ अहाँ एहि बेर ठाढ़

सोचल दी कोना लोकक बात काटि

सेवाक अवसर देलक आइ माटि

बनि एहि पंचायतक हम मुखिया

रहय देबै ने ककरो दुखिया

सोचि बनल मुखियाक प्रतिनिधि

कल जोड़ि पोस्टर छपओलहुँ सविधि

प्रचार मे जुटलहुँ दिन-राति

विरुद्ध मे ठाढ़ भेल कतेको पछाति

भेल शुरू मारामारी-गड़ागड़ौवल

कएक ठाम भेल लठा-लठौवल

भेटल सभ केँ दू-चारि गोट नोट

खसलहि दोसरेक हक मे वोट

तइयो नहि भेटलै संतोष

छपलक बूथ मिलि सभ दोस

परिणाम सुनि भेलहुँ स्तब्ध

भऽ गेल छल हमर जमानत जब्त

घर सँ निकलैत आब होइछ लाज

किएक कयलहुँ हम एहन काज

बैसब ने मुदा निश्चित आब

हेबे करतै फेरो चुनाव

होयब ठाढ़ हम फेर जा

पोसब गुंडा आब कएकटा

उगि गेलैछ हमरो दू गोट सिंग

करब हमहुँ आब बूथ कैप्चरिग


0 टिप्पणी:

Post a Comment