रायपुर– ६, सप्तरी
आई हम ठाढ़ भेल छी-
आई हम ठाढ़ भेल छी
चौबटियापर नइँ,
बाट तऽ एक्केटा छै
मुदा ओकरा रुकय पडतै
जे हमरा एतय अनलकै
हम ठाढ़ भेल छी ठीक ओहिना
जेना कपड़ाक दोकानमे पुतरा
सभदिन नव नव पहिरनमे
ठाढ़ भेल रहै छै
आ, किनयबला देखै छै
उन्टापुन्टाकऽ ।
No comments:
Post a Comment