एना किए ?
एकटा स्त्री,
हमर घरकेँ सबहे काज कऽ दैअ
समय–समय पर आबिकऽ
हमर जरुरत पुरा क दैअ
एहिके बाध ओ
परतरि दैअ
मुदा एना किए ?
जहिया हम असगरे रहैछी
तहिया ओ हमरा संग राति बितऽबैय
कखनो तिर त कखनो तार
कहियो राईके बनादै पहाड़
कखनो हमरा लेल आाखिमे नोर
आ कखनो हमरासँ दूर
मुदा एना किए ?
कि ईहे त प्रेम नहि ?
कि ईहो प्रेम छै ?
हमरा कोनो बेगरता होए
ओ सेहो पुरा कऽ दैअ
गलती जौ भऽगेल हमरासँ
त डटबो करैए
मुदा एना किए ?
ओकर आँखिमे,
एकटा भावना रहैछैक
ओकरा विश्वास रहैछैक हमरे पर
तैयो ओ हमरा डटैत रहैए
मुदा एना किए ?
किछु जौं कहि दिऐ त
भऽजाइए टोका–चाली बन्द
ओकर मूँह बन्द भइयोक
ओकर आँखि,
अपन प्रेमक गीत कहैए
मुदा एना किए ?
किछु समय बाद
जेना किछु भेले नहि हुए
जेना ओ हमरासँ चिन्तीते नहि हुए
तहिना ब्यवहार करैए
मुदा एना किए ?
No comments:
Post a Comment